माय गै
काल्हि राति
खसल हमर देह पर
मारिते रास
ठनका
कतेक रास से
किजानि गेलियई
अन्हार गुज्ज
भयावह राति
बड्ड विकराल
माय गै
केहेन रहैक क्षुधा
छौंरा सभक
से नहिं जानि
दैत्य सब
चिबा गेल हमरा
सौंसे
माय गै
डूबैत रहलहुं
राति भरि
पीड़ाक समुद्र में
चिचियाइत/डिड़ीयाईत
दयाक याचना
नेहोरा-बिनती
आ, तकर बाद
माय गै
सब किछु सुन्न
निस्तब्ध/निःशब्द
माय गै
कहाँ एलाह कृष्ण
बस-
चारु दीसि दु:शासन
आ-
कौरवक अट्टाहास
सियाह अकासक त'र
नोचाइत रहल
हमर मान
हमर मोन
हमर देह
हमर प्राण
माय गै
मिझाइत रहल
हमर ज्योति
मिटाइत रहल
हमर सर्वस्व
माय गै
उड़ैत प्राण
आ, असंख्य वज्राघातक मध्य
देखलियै
ओकरो सबहक गट्टा पर बान्हल
सुन्नर/चमकैत राखी
माय गै
सुन्नर राखी सब
चमकैत रहल
आ, हमर देह पर
राति भरि ठनका
खसैत रहल...