Saturday, November 15, 2014

हास परिहास

सिकुड़ल देह
सड़कक कात मे
गन्हाइत फुटपाथ पर
कचराक बोरी सन
ओहिना फेकायल
सड़इत देह

फेर राति गेल
फेर भोर भेल
सब देखि सूनि
बतहा मरि गेल...

देखने रहइ ओ
अन्हरिया राति मे
प्रशासकीय कार्यालय मे होइत
किछु आदान
किछु प्रदान
हरियर नोटक आदान
आ, उज्जर कागत पर
हस्ताक्षरित पर्मिटक प्रदान

सुनने रहई ओ
बिकट अट्टहास
हास परिहास
"जाउ भ' गेल
निश्चिन्त रहू बाउ
भरि मोन खाउ
भरि मोन खोआउ"

बुझने रहइ ओ
फेर बनतइ
कतेको रास खोंता
फेर ढहतइ
कतेको रास खोंता
फेर खंडित मनुक्ख
फेर सोनितायल माटि
मुइलक हिसाब किताब
कागती सवाल जवाब
फेर किछु आदान
फेर किछु प्रदान
एक ढेर लहास
फेर हास परिहास
बिकट अट्टहास...

कहने रहइ वैह
बड्ड भेल
आब नहिं
जे किछु देखल
जे किछु सूनल
आब होयत
अन्हार में प्रकाश
निश्चित पर्दाफाश
आ फेर..
आँखि बन्न
देह सुन्न
आर पार
सोनितक धार
फेर किछु आदान
फेर किछु प्रदान
खंडित विश्वास
हास परिहास
बिकट अट्टहास..

फेर राति गेल
फेर भोर भेल
सब देखि सूनि
बतहा मरि गेल...

No comments:

Post a Comment