Monday, November 24, 2014

सुनामी

बड्ड प्रेम सँ
ओकर दूनू हाथ कें
हाथ में लेने
केहन मिश्री सन मधुर
बाजल रहै छौंड़ा
"ऐं गई
ई तोहर आँखि छउ
आ कि समुद्र?"
मुदा उतरल पार नहिं लगलहि
छौंड़ा के
ओहि समुद्र मे
चलि गेल रहैक
उठि कS
किएकि
नहिं भेटल रहैक
छौंड़ा के
ओकर घर मे
कोनो बजार
ओकर बाप मे
नहिं भेटल रहैक
कोनो गहिकी
तएँ उठि कS
बेदी पर सँ
चलि गेल रहैक छौंड़ा
छोड़ि कS
नोरायल, पियासल समुद्र...

आ तखन आयल रहैक
ओहि महासमुद्र मे
भयंकर / विकराल
एकटा सुनामी
जे कS देलकइ विध्वस्त
बहुत किछु...
थरथराय लागल रहैक
ओकर देह
ह्रदयक स्पंदन
परिवर्तित भS गेलैक
कतहु बड्ड गहींर मे
ओकर सर्वस्व केँ झकझोरैत
प्रबल भूमिकंप मे
जकर कोलाहल सँ
आंदोलित भेल रहैक
फनफनाइत महासमुद्र...

फाटल रहैक
कईएक रास ज्वालामुखी
ओकर पोर पोर सँ
जकर लावा सँ
लाल भS गेल रहैक
दहकैत महासागर

आगिक धधरा ओढ़ने
छाउर भS गेल रहय ओ
आ सुनामीक
महाकाय लहरि
घीच कS लS गेल रहैक
छाउर केँ
फेर सँ समुद्र मे
आ धS देने रहैक
ओरिया कS
कतहु गहींर
बड्ड गहींर मे...


मनोज
हैदराबाद
२४/११/२०१५

No comments:

Post a Comment