छम छम छम
पैजनिया बाजय
राधा नाचथि
बीच बजार
सुखा गेल
वृन्दावन कानन
गोपी गाबथि
बीच बजार
माधव-भक्ति
कण्ठ मे अटकल
मीरा कानथि
बीच बजार
भयाक्रांत भ'
मातु यशोदा
नोर चुआबथि
बीच बजार
फेक-फाकि सब
अस्त्र शास्त्र केँ
अर्जुन मातल
बीच बजार
कृष्ण मुरलिया
ठोर सटौने
बिका रहल छथि
बीच बाजार
हैदराबाद
०३/०१/२०१५
No comments:
Post a Comment