Saturday, January 3, 2015

बजार

नेह..
कोना भ' सकैछ
निर्झर
प्रियतम?

देखू..
एखन धरि छी
पियासलि
हम!

प्रेम..
कोना भ' सकैछ
अनमोल
प्रियतम?

देखू..
कौड़ीक मोल छी
बिकायलि
हम!

हैदराबाद
०३/०१/२०१५

No comments:

Post a Comment